Saturday, November 19, 2011

पुनःस्थापना प्रति लडाकुके आकर्षण कम


सिन्धुली , अगहन ३ । वर्गीकरणके क्रममे रहल माओवादी लडाकु पुनःस्थापनाके अवसरके बेसी पसन्द नहि कऽ रहल अछि । लडाकुके समायोजन,पुनःस्थापना आ स्वेच्छिक अवकाशमे जाएबला तीन टा अवसर दैतो अधिकांश लडाकु समायोजन आ स्वेच्छिक अवकाश बेसी पसन्द कऽ रहल अछि ।

आइ भिन्सरे ८ बजे सँ सातो मुख्य शिविरमे लडाकुके वर्गिकरण कार्य सुरु भेल  अछि । सिन्धुलीमे ५४ गोटे आ नवलपरासीमे ७४ गोटेके वर्गीकरण होबयधरि दुनु ठाममे पुनःस्थापनामे जाएबला लडाकुसब नहि भेटल अछि । समायोजन आ अवकाशमे  जाएबलासबहक संख्या करिब करिब बराबर रहितो समायोजनमे जाएबलासबहक संख्या कनिक बेसी अछि ।

भिन्सरेसँ सुरु भेल वर्गीकरण प्रक्रिया एकदमे सुस्त गतिमे बढि रहल अछि । कामके गति देखलासँ पुरा वर्गीकरण सम्पन्न करय कमसँ कम दु सप्ताह समय लागत देखयमे अबैत अछि ।

अहिना वर्गीकरणमे अलग होबयबला लडाकुके लेल तीन प्रकारक कार्डके व्यवस्था रहितो कार्डमे त्रुटी रहल अछि । समायोजनके लाल, स्वेच्छिक अवकासमे जाएबलाके हरियर आ पुनःस्थापनामे जाएबलाके निला कार्ड देल जाएत कहल गेल होइतो त्रुटीबस सब कार्ड उजरे रङ्के रहलासँ कतेकौ स्थानमे कार्डके वितरण होबय नहि सकल अछि । कार्डमे पुरुष लिखैतकाल महिला आबयके जेहन त्रुटीसब देखल गेल अछि ।

रोल्पास्थित शिविरमे अनमिन प्रमाणिकरण करैत समयके तथ्यांक आ एखुनक तथ्यांक फरक परलाबाद वर्गीकरण प्रक्रिया  रोकलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन