Tuesday, November 22, 2011

कोइराला आ देउवा पक्षबीच वार्ता


६ अगहन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक देउवा पक्ष पार्टी विवाद समाधानक प्रयासमे आज सभापति सुशील कोइरालासँग वार्ता केलनि अछि ।

दु पक्षबीच सभापति कोइरालाक निवास महाराजगञ्जमे वार्ता भेल अछि । वार्तामे देउवा पक्षसँ गोपालमान श्रेष्ठ, खुमबहादुर खड्का, विमलेन्द्र निधि, डा. मीनेन्द्र रिजाल, पूर्णबहादुर खड्का आ डा. नारायण खड्का सहितक नेता सहभागी छलथि । बैसारमे मध्यमार्गी धारके रुपमे चिन्हलगेल अर्जुननरसिंह केसी आ चन्द्र भण्डारी सहितक नेता सेहो सहभागी छलथि । वार्तामे वरिष्ठ नेता देउवा  सहभागी नहि छलथि ।

सभापति कोइराला केन्द्रीय समितिक बहुमतसँ देउवापक्षक नेतृत्व रहल नेपाल तरुणदल, महिला संघ आ आदिवासी जनजाति संघ सहितक भातृसंस्था विघटन कएलाबाद सुरु भेल कांग्रेस विवाद उत्कर्षमे पहुँचल अछि ।

देउवा पक्ष सभापति बहुमतके आडमे निर्वाचित भातृसंस्था विघटन करयके अलोकतान्त्रिक निर्णय केने आरोप लगबैत ओ  निर्णयसँ पाछु हटय सभापति कोइरालाके दबाब दैत आएल अछि । आइ दिनभरिमे विवाद समाधान नहि भेल तऽ काल्हिके लेल बजाओलगेल केन्द्रीय समितिक बैसार बहिस्कार करबाक चेतावनी देउवा पक्षक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन