Tuesday, November 22, 2011

परराष्ट्रमन्त्री श्रेष्ठ आइ चीन जाऽ रहल


६ अगहन, काठमाडौँ । चिनियाँ प्रधानमन्त्री वेन जिया बाओके आगामी महिना होबयबला नेपाल भ्रमणके एजेण्डा तय करय उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ आइ चीन प्रस्थान कऽ रहल छथि ।

श्रेष्ठके नौ सदस्यीय टेलीके नेतृत्व करैत दुपहर सवा १२ बजे अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ चीनके ल्हासाके लेल प्रस्थान करबाक कार्यक्रम छन्हि । चीनमे श्रेष्ठके प्रधानमन्त्री जिया बाओ सहित कम्युनिष्ट पार्टीक उच्च तहके नेतासँग भेटबाक कार्यक्रम रहल हुनक स्वकीय सचिव सुशन कर्माचार्य जानकारी देलनि । श्रेष्ठ ल्हासामे तीब्बती स्वायत्त प्रदेशक अध्यक्ष आ वेइजिङमे प्रधानमन्त्री जियाबाओ तथा चिनियाँ समकक्षी याङ जि ची सँग भेटवार्ता करताह । ओ भेटसबमे प्रधानमन्त्री जियाबाओके भ्रमणके क्रममे बिमर्श करय नेपालक पूर्वाधार विकास, जलसोत, सांस्कृतिक आदानप्रदान तथा यातायत आ द्विपक्षीय व्यापार विस्तार सहितक एजेण्डा राखल जाएत बताओलगेल अछि ।

भेटमे नेपाल चीनबीच स्याफ्रवेशी, इमाथान्का, लोमान्थाङ, तिङकर कऽ ४ टा नयाँ नाका खोलयके विषयके भ्रमणके एजेण्डामे राखय परराष्ट्रमन्त्री श्रेष्ठ प्रस्ताव करताह । हाल नेपाल आ चीनबीच तातोपानी आ हिल्सा नाकासँ मात्रे आवतजावत आ व्यापारिक कारोबार भऽ रहल अछि । अहिना भ्रमणके क्रममे सय मेगावाटके बुढीगण्डकी आ ४ सय ५६ मेगावाटके उपरका तामाकोशी जलविद्युत् आयोजना निर्माणक लेल सहयोग करय चीनसँग आग्रह कएल जाएत ।

ओ बाहेक ६ टा जहाज खरिदके लेल सहुलियत ऋण, पोखरामे अन्तर्राष्ट्रियस्तरके पोलिटेक्निक इन्स्टिच्युट, राजधानीमे बाहिरी चक्रपथ निर्माण, कलंकीसँ कोटेश्वरधरिके चक्रपथ चौडा बनाबय तथा ओइ बीचमे ४ टा फ्लाइओभर निर्माण करयके आर्थिक सहायताके लेल प्रस्ताव कएल जाएत परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अछि । नेपालक प्रस्तावमे चीन सहमत हाएत तऽ प्रधानमन्त्री जिया बाओके नेपाल भ्रमणके क्रममे द्विपक्षीय घोषणा हाएत । जिया बाओ सन् २००१ एम्हर नेपाल भ्रमण करयबला उच्च चिनियाँ अधिकारी छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन