Sunday, November 27, 2011

जेलमें आब रोबोट कैदीसब पर नजर राखत


११ अगहन जनकपुरधाम । दक्षिण कोरियाके पोहांग शहरके जेलमें आब रोबोट कैदीसब पर नजर राखत । अनुसन्धानकर्ताक कहब अछि जे  इ मशीन सुरक्षाकर्मीके कामके बोझके कम करयमे मदत पहुँचाओत ।

दक्षिण कोरियाई अनुसन्धानकर्ताक संगठन एशियन फ़ोरम फॉर कोरक्शनंस जेलमें परीक्षणके लेल पांच फुट उंच तीन टा  रोबोट बनौलक अछि ।

इ संगठन अपराध आ जेलके नीती पर काम करैत अछि । अनुसन्धानकर्ताक अनुसार इ रोबोट ४ पहिया पर चलैत अछि आ अहिमे कैमरा आ सेंसर प्रणाली जडान कएल गेल अछि । अइके मददसँ रोबोट कैदीसब पर हिंसा आ आत्महत्या जेहन ख़तरनाक व्यवहारके पता लगाबय सकैत अछि ।

अइ रोबोटके डिज़ाइन करयबला  क्योंग विश्वविद्यालय के टीम के प्रो. ली बायक छू के कहब अछि जे गड़बड़ी भऽ रहल पता चलला पर इ रोबोट सुरक्षाकर्मीके चौकन्ना कऽ दैत अछि ।

हुनकर कहब छन्हि जे ' एकर प्रमुख ऑपरेटिंग सिस्टमके बनाबयके काम करिब पूरा भऽ चुकल अछि आ आब अहिमे कैदीके लेल बेसी अनुकूल बनाबयके लेल सुधारयके कोशिश कएल जाऽ रहल अछि ।'
दक्षिण कोरिया दुनियामें रोबोट उद्योगमें अपन अग्रता बनल रहेय सोचके साथ समय समय पर एहन अबिष्कारसब करैत रहैत अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन