Sunday, November 27, 2011

भारतीय वित्तमन्त्री मुखर्जी नेपाल आबिरहल


११ अगहन जनकपुरधाम । नेपाल आ भारतबीच दोहोरा कर उन्मुक्तिसम्बन्धी सम्झौतामे हस्ताक्षर करय भारतीय अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी सेहो आइ नेपाल आबि रहल छथि ।

वित्तमन्त्री मुखर्जीके आइ भिन्सरे काठमाडौ अएवाक कार्यक्रम छन्हि । आइए प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईके उपस्थितिमे दुनु देशक अर्थमन्त्री सम्झौतामे हस्ताक्षर करताह । इ सम्झौतासँ सन् १९८७ मे भेल सम्झौताके प्रतिस्थापन करत । आइए मुखर्जी राष्ट्रपति डा.रामवरण यादवसँग शिष्टाचार भेटघाट करताह भारतीय दूतावास जनौलक अछि । स्वदेश घुरयसँ आगु ओ राजधानीस्थित एक होटलमे एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल, नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइराला सहितक विभिन्न राजनीतिक दलक नेतासबसँग अलगे अलग भेटवार्ता करताह ।
दु देशके विदेश सचिवबीच नियमित बिमर्शक लेल कहैत भारतीय विदेश सचिव रञ्जन मथाइ काल्हिए नेपाल आबि चुकल छथि । 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन