Sunday, November 06, 2011

चालक औँघेलासँ बस दुर्घटना, दु गोटेके मृत्यु


दाङ, कार्तिक २० । दाङमे आइ भेल बस दुर्घटनामे परि २ गोटेके मृत्यु भेल अछि । अन्य सात गोटे घाइल भेल अछि ।

मनकामना भ्रमणसँ दाङ घुरिरहल रा १ ख ५१८ नम्वरक वस पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत दाङके चैलाही-१ अर्नहवा पुलमे दुर्घटना भेलासँ दु यात्रुके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे बस चालक हलवार १ पर्सेनीके २८ वर्षक युवराज विक आ सहचालक मानपुर-१ के २४ वर्षक पर्वत रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय लमहीक प्रहरी निरीक्षक हरिदास श्रेष्ठ जानकारी देलनि ।

दुर्घटनामे नारायणपुरके सिता सिजवाल, सुवास खड्का, लक्षमण शाह, ढिकपुरके सुनिल विक, नारायणपुर-४ चाँगुके सिता केसी घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि ।

घाइलसबके प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र लमहीमे प्राथमिक इलाजक बाद थप इलाजक लेल नेपालगञ्ज रेफर कएल गेल अछि । बस चालक औघेलासँ दुर्घटना भेल यात्रुसब बतौलक अछि ।

बसमे २७ यात्रु सवार छल । बस सडकसँ ५० मिटर निचा  पुलके निचा खसल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन