Sunday, November 06, 2011

सेनामे १० हजार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ छोडबः गच्छदार


२० कात्तिक, राजविराज । उपप्रधानमन्त्री विजयकुमार गच्छदार नेपाली सेनामे १० हजार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ छोडब बतौलनि अछि ।

सप्तरीके बरमझियास्थित सशस्त्र प्रहरीके दन्तकाली गणके निरीक्षणके बाद सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत गच्छदार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ अलगे मधेसी रेजिमेन्ट कायम कएल जाएत बतौलनि ।

रक्षान्त्रीके हैसियतसँ नेपाली सेनामे १० हजार मधेसी युवाके समावेश हम कराएबरक्षामन्त्रीक समेत कार्यभार सम्हारैत आएल गच्छदार कहलनि-अहि सम्वन्धमे कांग्रेस-एमालेसँग अपिल कऽ चुकल छी, माओवादीसँ तऽ हमरासबहक सम्झौते भऽ गेल ।ओ सेनाके लोकतान्त्रीकीकरण करय लेल सब जातजातिके सेना बनेनाइ आवश्यक रहल सेहो बतौलनि ।

फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष समेत रहल उपप्रधानमन्त्री गच्छदार माओवादीसँग भेल ४ बुँदे सहमतिके राष्ट्रघाती कहयबलाके इटके जवाफ पत्थरसँ देबयकेचेतावनी देलनि ।

दलसबसँग शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण बाहेक कोनो विकल्प नहि रहल कहैत ओ संविधानसभाक म्याद अन्तिम बेरक लेल छ महिना म्याद थपब सेहो बतौलनि । ओ सातबुँदे सहमति कडाइके साथ कार्यान्वयन करय गृह प्रशासन लागि परत बतौलनि ।

राजनीतिक उद्देश्य लेने सशस्त्र समूहसँग वार्ता कऽ राष्ट्रिय राजनीतिके मूलधारमे लाबय सरकार प्रयासरत रहल बतबैत उपप्रधानमन्त्री गच्छदार कहलनि-राजनीतिक आवरणमे अपराध करयबला सशस्त्र समूहसँग कोनो वार्ता नहि हाएत, ओकरासब उपर कारबाही कएल जाएत।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन