Monday, December 26, 2011

राहुल गांधी आइसँ उत्तर प्रदेशके चुनावी भ्रमणमे


११ पुष भारत । कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी आइसँ उत्तर प्रदेशके चुनावी भ्रमणमे छथि ।

आइ दिनमें कांग्रेस महासचिव सीतापुर ज़िलाके तीन विधान सभा क्षेत्र में सभाके संबोधित करताह ।

अहिबिच अन्य राजनीतिक दल सब सेहो चुनावके तिथिके घोषणाक बाद अपन अपन क्षेत्रमे सभाके सँबोधित करय निकैल पडल अछि । अखन चुनाबी माहौल बडी जोडके रँग पकैड रहल अछि ।

मुख्यमंत्री मायावती आ बहुजन समाज पार्टी सुप्रीमो लखनऊमें कार्यकर्ताके सँग बैसार केलनि अछि तऽ ओम्हर  समाजवादी पार्टी अध्यक्ष मुलायम सिंह सहो नेतासबसँ भेटघाटक तिब्रता देने छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन