Monday, December 26, 2011

संविधान लेखन काम स्थगित


काठमाडौ, पुस ११ । विवाद समाधान उपसमिति सहमति जुटौने विषयमे बिबाद भेलाबाद काल्हिसँ संविधान लेखन ठप्प भेल अछि ।

विवादमे ओझराएलाबाद शनिदिनसँ उपसमितिक बैसार स्थगित भेल अछि तऽ संवैधानिक समितिक बैसार काल्हिएसँ एक सप्ताहक लेल स्थगित कएलगेल अछि ।

संविधान लेखन आगु बढाबयके महत्त्वपूर्ण दु बैसार स्थगित भेलाबाद प्रक्रिया बीचेमे रोकलगेल अछि । जाहिके  कारण राज्य पुनर्संरचना बाहेकके विवादित विषयमे पुस १५ धरि सहमति जुटावय जका पारित संविधानसभाक तालिकासमेत प्रभावित भेल अछि । राज्य पुनर्संरचनाके २५ बाहेक अन्य २२ टा विषयमे पुस १५ धरिमे सोझराबएके कार्यतालिका २० अगहनके संविधानसभासँ पारित केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन