Tuesday, December 27, 2011

डाँकुके प्रतिकारमे मृत्यु भेलके शव परिवार बुझलक


१२ पुस, सिरहा । पुलिसक दबाबमे सिरहाके बेल्हा गाविस-३ मे हतियारधारी लुटेरा समूहक प्रतिकारके क्रममे मृत्यु भेल १६ वर्षक सुरेश साहके शव परिवारजन बुझलक अछि ।

ओकर शव सिरहा जिल्ला अस्पतालसँ लऽ जा क आइए दाह संस्कार कएल गेल पारिवारजन जनौलक अछि । पीडितके परिवारजन मृतकके बाबु रघुनाथ साहके पुलिस काल्हिए साँझ दबाब दऽ क शव बुझने कहैत पत्रमे हस्ताक्षर करौने आरोप लगौलक अछि ।

अहिसँ आगु घटना छानविनके लेल न्यायिक आयोग गठनके माँग राखि क परिवार शव बुझय नहि मानने छल । हतियारसहित १५/२० गोटेके संख्यामे आएल हतियारधारी डाँकु समूहक प्रतिकार करयके क्रममे डाँकु समुहक गोली लागि कऽ साहके बितल पुस ६ गते राति मृत्यु भेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन