Wednesday, December 21, 2011

संविधानके सहमति भऽ चुकल विषयमे वैद्य पक्षक आपत्ति


काठमाडौ, पुस ६ । उपसमितिमे सहमति भऽ चुकल कतेकौ विवादित विषयमे माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्ष आपत्ति जनबैत पुनः बिमर्शक माँग केलक अछि ।

संवैधानिक समितिक आजुक बैसारमे संविधानमे जमिन तथा सम्पत्तिके हदबन्दी नहि तोकयके, १८ वर्ष पहुँचलसबके अनिवार्य सैन्य तालिम लेवय नहि परयके विषयमे भेल सहमति उपर वैद्य पक्षीय सभासदसब आपत्ति जनौलक अछि ।

ओ विषयसब उपर फेउर बिमर्श कऽ संशोधन करयके माँग ओसब केने अछि । वैद्य समूह हदबन्दी आ अनिवार्य सैन्य तालिमके संवैधानिक व्यवस्था होवयके पक्षमे अछि । लडाकु समायोजन शब्द सेहो नयाँ संविधानमे उल्लेख करयके ओकरसबहक अडान अछि ।

समिति बैसारमे वैद्य पक्षक माओवादी प्रमुख सचेतक देवप्रसाद गुरुङ, सभासदद्वय जयपुरी घर्ति आ खड्गबहादुर विश्वकर्मा पूर्व सहमतिसब उपर आपत्ति जनौलनि अछि ।

अहिना, १८ वर्ष पहुँचल नेपाली नागरिक आमनिर्वाचनमे मतदाता होवयके उपसमितिमे भेल सहमति उपर नेपाल मजदुर किसान पार्टीक सभासद सुनिल प्रजापति आ नेकपा एकीकृतके सभासद परि थापा सहितक आपत्ति जनौलक अछि । ओसब १६ वर्षमे नागरिकता पौअनेसब वायह उमेरमे मतदानके हक पावयके चाही बतौलनि ।

संवैधानिक समितिक बैसारसँ प्रान्तीय संसदके नाम 'प्रदेश सभा' राखयके विषयमे सहमति जुटौलक अछि । प्रदेशसबहक गठनके बाद ओतय रहयबला संसदके नाम कि राखल जाए विषयमे दलसबबीच मतभेद छल । 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन