Wednesday, December 21, 2011

तराइमे अखनधरि ४२ गोटेके मृत्यु


६ पुष जनकपुरधाम । लगातारक शीतलहरी आ ठण्डीके कारण पूर्वसँ पश्चिम तराइके अधिकांश जिल्लाके जनजीवन कष्टकर बनैत जाऽ रहल अछि ।

ठण्डिके कारण अखनधरि धनुषामे २, महोत्तरीमे १५, रौतहटमे ८, सप्तरीमे ६, बारामे २ सिरहामे ४ सर्लाहीमे ५ आ पर्सामे एक गोटेके कऽ करिब  ४२ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि । अहिना सब जिल्लाके हजारौँ आदमीसब ठण्डीके कारण बेमार भेल अछि ।

वीरगञ्जस्थित नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पताल, धनुषाके जनकपुर अञ्चल अस्पताल, सप्तरीके सगरमाथा अञ्चल अस्पताल तथा जिल्ला अस्पतालसबमे बेमारीसबहक भिड बढल अछि । चिकित्सकके अनुसार ठण्डिसँ निमोनिया, पेटझरी, भाइरल बोखार आ सर्दीखोकीके रोगीसबहक सँख्यामे बृद्धि भेल अछि । विशेष कऽ धियापुता आ वृद्धवृद्धासब ठण्डीसा प्रभावित भऽ रहल अछि ।

ठण्डिके कारण तराई क्षेत्रमे बजारसबमे लोकसबहक चहलपहल घटल अछि तऽ बारा, पर्सा, धनुषा, महोत्तरी आ सप्तरी जिल्लाके सार्वजनिक विद्यालयसब  बन्द अछि । अहिना पूर्वपश्चिम राजमार्गमे बहुत कम सवारी साधनसब चलिरहल अछि । धुँनिके कारण दुर्घटनाके घटना बढल अछि तऽ ट्राफिक पुलिस हेडलाइट बारि कऽ कम गतिमे सवारी चलावय चालकसबके सचेत करारहल अछि ।

कतौक स्थानीय प्रशासन, कतौक पुलिस तऽ कतौक नगरपालिका सर्वसाधारणके लेल आगि तापयके व्यवस्था मिलौने अछि ।

वितल १३ दिनसँ धुँनि लागयके सँगही शीतलहरी बढल अछि तऽ बिचमे एकदिन केनिक कालके लेल रौद उगितो निक  सँ रौद उगय नहि सकल अछि । अहिना भरि दिन ठण्डा हवा बहलासँ ठण्डी बढि रहल अछि तऽ तापमान दिनदिने निचा खसैत जाऽ रहल अछि । ओम्हर पडोसी देश भारतक बिहारसँ लऽ क राजधानी दिल्लीधरिके सेहो याह अबस्था अछि । तापक्रम एकदम भऽ रहल अछि तऽ ठण्डीके कारणसँ अतिआबश्यक काज बाहेक लोकसब घरसँ निकलनाइ छोडिदेने अछि तऽ ठण्डीके कारण बिहारमे मात्रे एक सयसँ बेसी गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

अहिना धुनिके कारण जनकपुरक बिमान सेवा सेहो करिब १० दिनसँ प्रभावित भेल अछि तऽ ओम्हर भारतमे बिमानसब सेहो प्रभावित भेल अछि तऽ एकर प्रभाव रेल सेवा पर सेहो परल अछि । रेल्वे सेवा करिब ३० घण्टाधरि अबेर सँ सँचालनमे आबि रहल अछि ।

बितल ५०/६० वर्षमे एहन ठण्डी अपनेसब महशुस नहि केने तराइके बृद्धबृद्धासब दाबी कऽ रहल अछि । मौसमविदसबहक अनुसार शीतलहर आ धुनिके  इ क्रम अखनो एक सप्ताह जारी रहत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन