Wednesday, December 21, 2011

'ललीपप' देवयके सरकारक तयारी


काठमाडौं, पुस ६ । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवले नेपाली सेनामे तीन हजार मधेसीके प्रवेश करावयके सरकारक निर्णय मधेसीके 'ललीपप' खुवा कऽ मधेसक मुद्दाके ओझरावयके षड्यन्त्र रहल दाबी केलनि अछि ।

राजधानीमे आइ आयोजित साक्षात्कारमे यादव नेपाली सेनाके जनसंख्याके आधारमे समूहगत रुपमे मधेसीके प्रवेश करा कऽ समावेशी बनावयके माँग केलनि । 'पूर्व सहमति अनुसार नहि भेलासँ मधेसमे जल्दिए भीषण आन्दोलन हाएत ओ कहलनि ।

यादव विगतमे १० हजार मधेसीके सेनामे समूहगत प्रवेश करावयके सहमति होइतो सत्ता टिकावय लेल मधेसी मोर्चा ३ हजारमे मानने आरोप लगबैत कार्यान्वयन तहमे जाएधरि ३ सयके प्रवेश हाएत कि नै मे  आशंका ब्यक्त कएलनि ।

मधेसीके सेनामे प्रवेश आगु नेपाली सेनाके एकाङ्की संरचनाके अन्त्य, राष्ट्रिय सुरक्षा नीति निर्माण, सेनाके आवश्यकता, औचित्य, संख्या निर्धारण आ सेनामे नागरिक सर्वोच्चता स्थापना करयके तर्क कएलनि ।

कार्यक्रममे तराई मधेस  लोकतान्त्रिक पार्टीक नेता एवं कानुन मन्त्री बृजेशकुमार गुप्ता अन्तरिम संविधानक पाँचम संशोधनके क्रममे सब दल मत दऽ क सेनाके समावेशी बनावयके बात केलासँ मधेसीके सेनामे प्रवेश अखनेके सरकार मात्रे नहि केने दाबी कएलनि ।

ओ नेपाली सेना समावेशी बनावयके नीति पत्र तयार केने देने जानकारी दैत आब सरकार ओ नीति पत्र अनुसार कानून समेत संशोधन करत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन