Sunday, December 25, 2011

खम्बुवानद्वारा चन्दा आतँक


खोटाङ, पुस १० । खम्बुवान राष्ट्रिय मोर्चा खोटाङ जिल्लाके प्रत्येक गाविस सचिवके धम्की सहितक पत्र पठा कऽ  चन्दा माँगय शुरु केलक अछि । खम्बुवान राज्य प्राप्तिके लेल पार्टी सञ्चालन, प्रशिक्षण, सम्मेलन करय लेल चन्दा माँगलगेल खम्बुवान राष्ट्रिय मोर्चा जनौलक अछि ।

मोर्चाके जिल्ला अध्यक्ष पीके खम्वु आ सचिव जितेन खम्वु हस्ताक्षर केने पत्रमे गाउँ परिषदसँ मोर्चाके नाममे १५ हजारसँ बेसी रकम पास करा कऽ देवय कहलगेल अछि । मोर्चा पत्रमार्फत् सहयोग नहि करयबला गाविसके विकल्प खोजयके चेतावनी सेहो देलक अछि ।

खम्वुवानके खोटाङ अध्यक्ष पीके खम्वु किछ समय आगु अपन पार्टी चन्दा नहि माँगत आ अपन कार्यकर्ता मँगने भेटत तऽ  कडा कारबाही करयके प्रतिबद्धता जनौने किछुए समय नहि बितैत चन्दा माँगय लागल अछि ।

अहिसँ आगु २०६७ जेठ ४ गते खम्वुवानके तत्कालीन जिल्ला अध्यक्ष विश्वास साम्पाङ खम्बु सेहो इतिहासेमे पहिल आ अन्तिम बेरक लेल कहैत प्रत्येक गाविस सचिवसँ १५ हजारके दरसँ चन्दा मँगने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन