Monday, February 28, 2011

वीरगञ्ज कारागारमे तनाव

काठमाडौं, फागुन १६ । कैदीके आन्दोलनके कारण वीरगञ्ज कारागारमे तनाव उत्पन्न भेल अछि । कैदीके दोसर ठाम बदली करय लागल बिरोधमे कैदीसब आन्दोलनमे उतरलाक बाद तनाव भेल अछि ।

उत्पन्न तनाब नियन्त्रणके प्रयासमे पुलिस एक राउण्ड हवाई फायर करयके सँगही करीब आधा दर्जन असुर ग्यास प्रहार केलक अछि । असुर ग्यासक कारण पाँच गोट कैदी घाइल भेल अछि । घाइल होबयबलासबमे उमेश मुखिया आ सागर झा सहितक रहल अछि । कारागार व्यवस्थापन बिभाग कार्यालय पर्सा वीरगञ्ज दु गोटे कैदीके दोसर जिल्लामे बदली करय लगलाबाद कैदीसब आन्दोलनमे उतरल अछि । ओसब सरुवा करय लागल कैदीके फिर्ता कर कहैत नारा सेहो लगौलक अछि ।

बिभागके आदेश अनुसार लालबाबु अन्सारी आ शम्भु गौतमके बदली करय लागल प्रमुख जिल्ला अधिकारी नागेन्द्र झा बतौलनि । प्रमुख जिल्ला अधिकारी झाके अनुसार अपहरण मुद्धामे वीरगञ्ज कारागारमे सजाय भोगि रहल कैदीके आइए दाङ्ग कारागारमे बदली करबाक छल । कारागार स्रोतक अनुसार बिदेशी साह आ शुक्र तामांङके सेहो बदलीके प्रकृया आगु बढाओगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन