Thursday, December 29, 2011

तुर्कीमे हवाई आक्रमणमे २० गोटेके मृत्यु


१४ पुष तुर्की । इराक़ी सीमा नजदिक रहल कुर्दके एक गांव ओरतासु में सरकारके दिससँ कएलगेल हवाइ आक्रमणमे कमसँ कम २० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

दक्षिण पूर्वी तुर्कीके अधिकारीके कहब अछि जे आक्रमणमे मृत्यु भेलसबहक बहुत गोटेके शव बरामद कएलगेल अछि ।

इ समुह इराक़ स तुर्की  गैस चीनीके तस्करी कऽ रहल समय ओ आक्रमण कएलगेल छल । गलती सँ ओ लोगसबके कुर्द विद्रोही समझि कऽ आक्रमण कएलगेल एक अधिकारी बतौलक अछि ।

हालके महीनमें तुर्कीके सेना विद्रोहबीच कतकौ भिडन्त भऽ चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन