Tuesday, August 05, 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे मृत्यु होबयबलाके सँख्या ३३ पहुँचल, चिनसँ जोडयलेल बैकल्पिक बाटक निर्माण कएल जाएत

साउन २० गते, सिन्धुपाल्चोक, ब्रम्हानन्द ठाकुर । सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनामे मृत्यु होवयबलाके सँख्या ३३ पहुँचल अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे मृत्यु होवयबलाके सँख्या ३३ पहुँचल ओत्तुका स्थानिय प्रशासन जनौलक अछि ।
घटनामे ९ गोट शव तत्काले शनि दिन भेटल छल तऽ बाँकीके शव रबि आ  सोमिदन बरामद भेल अछि । घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जनौलन्हि अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउमे डुबिकऽ करिब २०० घर जलमग्न भेल अछि तऽ १२५ सँ बेसी गोटे सम्पर्क बिहिन भेल अछि । सम्पर्क बिहिन भेलसभहक मृत्यु भेल होब सकबाक आशँका स्थनिय प्रशासन कऽ रहल अछि । अखन ओतय पानिकऽ बहाब सेहो कम भेलाक कारण स्थानिय प्रशासन आ सुरक्षाकर्मी बेपत्ता भेलसभहक खोजतलाश तिब्र बनौने अछि ।
अहिना नेपाली सेना घटनामे घाइल भेलसभके हेलिकप्टरसँ काठमाण्डौ काभ्रे आ सिन्धुपाल्चोकके चौतारा अस्पतालमे इलाजक लेल पठाबिरहल अछि तऽ मृत्यु भेलसभहक शवके पोष्टमार्टमके लेल चौतारा अस्पताल पठौने अछि । सुनकोशीके रुकावट दुर करय लेल सेना हेलिकप्टरसँ २ टा बम बिष्फोट केलाक बादो कोनो असर नहि परलाबाद अखन ओतय एक्साभेटरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके काज कएल जारहल अछि । अहिबिच आई नेपाली सेना बिष्फोट क कऽ फेउरसँ पानिकऽ निकास देवाक नियार कएने अछि । बिच बिचमे पानि सेहो परिरहलाक कारण उद्धार करयमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेना जनौलक अछि ।
सुनकोशीमे आएल रुकावटसँ उदयपुर खोटाङ सहितक जिल्लामे सेहे बाढि आवयके खतरा बढल अछि तऽ पुर्वमे रहल कोशी नदीमे सेहो जलस्तर बढिरहल जनाओलगेल अछि । सुनकोशीके खतराके देखैत स्थानिय प्रशासन खतरा होबयसकबाक ठामसभमे उच्च सतर्कता अपनबैत घरसभ खाली कराऽ सुरक्षित स्थानसभमे जाएके लेल माइकिङ कएने बताओलगेल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि । एम्हर, विदेशी पर्यटकके लेवय गेल फिस्टेल एयरके विमान अवतरण करय काल पछिला पँखासँ घेउँट कटा कऽ एक ३१ बर्षक एक युवकके मृत्यु भेलाबाद फिस्टेल एयरके चालक सुजन श्रेष्ठ चौतारा प्रहरीके नियन्त्रणमे अछि ।

तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ कोदारी नाका बन्द भेलासँ नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक निर्णय भेल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन