Friday, October 30, 2009

५ के मृत्यु, २०० स बेसी घायील


कातिक तेरह । भारतक राजस्थानके जयपुर सहरस पंद्रह किलोमीटर के दुरिमे रहल इंडियन आयल कर्पोरेसंके डिपोमे बीतल साँझ लागल आइग्लाग्गिमे परी पॉँच गोटेके मृत्यु भेल अछी दू सयबेसी गोटे घायल भेल अछि । अगिलाग्गिस घटनास्थल सितापुरके आसपासक करीब तिन किलोमीटर क्षेत्र प्रभाबित भेल अछि । बीतल साँझ करीब सात बजे लागल ओ आगिके धधरा करीब पचास मीटर ऊपर धैर उठल देखल गेल अछि त जयपुरक आसपासक तिन किलोमीटर धरी धुवा देखल गेल अछि । इंडियन आयल के अनुसार पाइप लाइन लिकेज भेलाक कारन ओ दुर्घटना भेल छल । आगिलाग्गिमे करीब नब्बे लाख लीटर पेट्रोल , डीजल आ मतियाटेल जारिक नस्ट भेल अछि । ओही क्षेत्रक बिजुलिके लाइन काटल गेल अछि त २५ टा दमकल तथा सेनाके संयुक्त प्रयास स ओ आगिके नियंत्रन्मे लेबाक प्रयास भ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन