Saturday, November 12, 2011

सरकारसँ दण्डहीनताके प्रश्रयः सिंह


२६ कात्तिक, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री प्रकाशमान सिंह व्यक्ति हत्याके अभियोगमे अदातलसँ सर्वस्वहरण सहित आजीवन कारावासक सजाय सुनाओलगेल माओवादी सभासद् बालकृष्ण ढुंगेलके आममाफी देबयके निर्णय कऽ क सरकार दण्डहीनताके प्रश्रय देने आरोप लगौलनि अछि ।

नेपाली कांग्रेस किर्तिपुर आइ आयोजना केने कार्यक्रममे बजैत महामन्त्री सिंह विधिके शासनके सम्मान करैत तत्काल निर्णय सच्यियाबऽ माँग केलनि । सिंह सरकार निर्णय फिर्ता नहि लेत तऽ देशव्यापी आन्दोलन करयके चेतावनी देलनि । शान्ति आ संविधान लेखनके  काम आगु बढाबय सहमतिके वातावरण बनि रहल समय सरकार अदातलतसँ दोषी किटान कऽ चुकल सभासद् ढुंगेलके उन्मुक्ति देबयके निर्णय कऽ क सहमतिके वातावरण बिगाडय चाहने सिंहक आरोप छलनि ।

मितव्ययीताके लेल कहैत मुस्ताङ गाडी चढयबला प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई जम्बो मन्त्रिमण्डल बना कऽ राष्ट्रिय ढुकुटी खत्तम करय चाहने  सिंहको कहब छलनि । सिंह प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई गम्भीर मानवअधिकार उल्लङ्घनके घटनामे संलग्न व्यक्तिसबके मन्त्री नियुक्त कऽ क मानवअधिकारके मजाक उडाबयके काज केने आरोप लगौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन