Saturday, November 12, 2011

मोटरसाइल दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु


२६ कात्तिक, दाङ । दाङके फूलबारी-१ ठूलोदमारमे बितलराति मोटरसाइल दुर्घटना भेलासँ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे बर्दियाके बेलुवा गाविस-७ के ४५ वर्षक गणेशबहादुर डाँगी रहल  पुलिस जनौलक अछि । बर्दियासँ दाङके घोराहिदिस जाऽ रहल डाँगी सवार भे ३ प ४०२६ नम्बरक मोटरसाइकल उच्च गतिके कारण असन्तुलित भऽ कऽ उनटल पुलिस जनौलक अछि । हुनक घटनास्थलेमे मृत्यु भेल बताओलगेल अछि ।

अहिबिच दाङके घोराहीस्थित अस्थायी प्रहरी पोष्टमे कार्यरत प्रहरी हवल्दार हरि लम्साल पेस्तोल प्रहार कऽ बितलराति आत्महत्या करबाक प्रयास केलक अछि । दाङ प्रहरीके प्रमुख गणेश बहादुर ऐर पेटमे गोली लागि कऽ गम्भीर घाइल भेल लम्सालके नेपालगञ्जमे इलाज भऽ रहल जानकारी देलनि । हवल्दार लम्सालके आत्महत्या करयके कारण  खुजय नहि सकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन