Monday, November 21, 2011

तहरीर चौक पर सैनिक कार्रवाई, १३ गोटेके मृत्यु


५ अगहन मिस्र । मिस्रके राजधानी काहिराके तहरीर चौक पर प्रदर्शनकारी आ पुलिस बीच भेल हिंसक झड़पमे कम सँ कम १३ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ सैकड़ों लोग घाइल भेल अछि ।

पुलिस आ सेना  तहरीर चौकके खाली करबाबके कोशिशमें काल्हि अश्रु गैस छोड़ने छल आ प्रदर्शनकारी उपर  लाठी भँजने छल ।

मुदा ओहिके  एक घंटा बाद पुनः प्रदर्शनकारी तहरीर चौक पऽ आबि कऽ सैनिक प्रशासकके बिरोध करैत नारा लगौने छल ।

यूरोपीय संघ  तहरीर चौक पर भेल हिंसाके कड़ा शब्दमें निंदा केलक अछि । काहिराके अलावा सुएज़, असवान आ अलैग्ज़ेंड्रिया में सेहो झड़प होबयके ख़बर आबि रहल अछि ।

स्वास्थ्य विभागके अनुसार झड़पके क्रममे  १३ गोटेके मृत्यु भेल अछि । अधिकारीके अनुसार ओ झडपमे ४०  सुरक्षाकर्मी सहित क़रीब ९०० गोटे  घाइल सेहो भेल अछि ।

अंतरिम सैन्य सरकार सत्ता पर अपन कब्ज़ा बनाकऽ राखय चाहने प्रदर्शनाकारीसबहक आरोप अछि । इ हिंसा होस्नी मुबारकके सत्ता सँ हटौलाक बाद होबयबला संसदीय चुनाव सँ एक सप्ताह पहिनेही सँ भऽ रहल अछि ।

अहिबिच यूरोपीय संघके विदेश नीति प्रमुख कैथरीन एशटन मिस्रके सरकारसँ प्रदर्शनकारीके बिरुद्ध झडपके रोकय लेल कहलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन