Sunday, October 03, 2010

न्ोपाली काँग्रेसक १२ हम् महाधिबेशनसमे सहभागी भ कास्की स्थित घर घुरित काल कार दुर्घटनामे परि घाहिल भेल जोगेन्द्र बटाजुके इलाजक क्रममे आइ मृत्यु भेल अछि ।

काठमाण्डौके बाँसबाँरी स्थित न्युरो अस्पतालमे इलाजक क्रममे हुनक मृत्यु भेल छन्हि । बितल आसिन ६ गते पोखरा घुरैत काल ओ चढल कार चितवनके दारेचोकमे दुर्घटना भेल छल । कारमे सवार ३ गोटेके दुर्घटना भेले दिन मृत्यु भेल छल । अन्य घाहिल भेल मदन बहादुर केसी आ मधु बास्तोलाके खतरामुक्त अबस्थामे इलाज भरहल अछि ।

ुुुुु



ब्ोलायती सेनाध्यक्षक निमनत्रणामे प्रधानसेनापति छत्रमान सिँह गुरुङ १० दिना भ्रमणके लेल आइ बेलायत प्रस्थान केलनि अछि ।

ओ भिन्सर पौने ९ बजेके कतार एयरवेजके बिमानस बेलायत प्रस्थान केने नेपाली सेनाक प्रवक्ता रमीन्द्र क्षेत्री जानकारी देलनि अछि । प्रधानसेनापति गुरुङके सँगे हुनक पत्नी कमला उपरथी नेत्र बहादुर थापा आ प्रमुख सेनानी शिबशँकर गुरुङ सेहो बेलायत गेल छथि । १० दिना भ्रमणके क्रममे प्रधानसेनापति गुरुङ काल्हि साँमु बेलायती सेनाध्यक्ष सर पिटर वाल आयोजना केने रात्री भोजमे सहभागी हेताह । अहिना मँगलदिन भिन्सर हर्ट गार्ड परेडमे फस्ट बटालियन ग्रनाडियर गार्ड हुनका सम्मान गारथ प्रदान करताह । ओकरबाद ओ बेलायती सेनाध्यक्षसँग शिष्टाचार भेट करता बताओल गेल अछि । भेटमे सैन्य सहयोग आदान प्रदानक बिषयमे सेहो परामर्श हाएत बताओल गेल अछि ।

ुुु

एकिकृत नेकपा माओवादीक सिन्धुली जिला सहायक इन्चार्ज राजन दाहालके आइ भिन्सर पुलिस पक्राउ केलक अछि । आय भिन्सर पौने ८ बजेदिस पुलिस सदरमुकाम सिन्धुलीमाडीस दाहालके पक्राउ केलक अछि । दाहालके जिला प्रहरी कार्यालय सिन्धुलीमे राखल गेल अछि । पक्राउके बिरोध आ बिनाशर्त रिहाइके माँग करैत एकिकृत नेकपा माओवादी भिन्सरेस सिन्धुली जिला बन्दक आहवान केलक अछि । उपरके आदेश रहल कहैत गृहमन्त्री भिम रावलके सिधा आदेशमे पुलिस दाहालके पक्राउ केने माओवादी सिन्धुली जनौलक अछि ।

अहिबिच एकिकृत नेकपा माओवादीक लमजुङ जिला कार्यालय सचिब देबेन्द्र पौडेल ३ दिनस बेपत्ता छथि । पौडेल बृहस्पतिए दिनस सम्पर्कबिहिन रहल माओवादी लमजुङ जनौलक अछि । पौडेलक खोजी कार्य भरहल जिला प्रहरी कार्यालय लमजुङके डिएसपी कृण्ण हरि शर्मा बतौलनि अछि ।

ुुुु॥

ब्ार्दिया राष्ट्रिय निकुन्जके सिमावर्ती शिवपुर गाबिस ८ मोहनपुरमे जँगली जानबरके रोकबाक लेल लगौने बिद्युतिय धरापमे परि २ युवकके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु होवय बलामे स्थानिय २८ बर्षक छठु चौधरी आ २२ बर्षक शँकर चौधरी रहल अछि । करेन्ट लागिक गँभिर घाहिल भेल दुनु गोटेके बितलराति बाँकेके नेपालगँजमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

ुुुुुु



रौतहटके करुनियास प्ाुलिस हातहतियारसहित ४ गोटॆके पक्राउ केलक अछि । इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा राजपुर तुल्सी गाबिस १ के सुरेश राउत हरि नारायण मुखिया भारत सितामढिके मणिकुमार जयसवाल आ धिरज साहके हतियारसहित पक्राउ केलक अछि ।

ओकरा सभहक सँगस एक थान नलकटुवा बन्दुक आ ओहिमे प्रयोग होवयबला ४ राउण्ड गोली बरामद भेल पुलिस जनौलक अछि । बितलराति ९ बजे देबाही गाबिस ८ के मजीबुल रहमान आ शिबदयाल पण्डितके रास्तामे रोकिक लुटपाट करहल अबस्थामे पुलिसक गस्ती टोली ओकरासबके पक्राउ केलक अछि । लुटेरासब मजिबुलके पिटपाट क गँभीर घाहिल बनौलक अछि । घाहिल मजिबुलके करुनियामे इलाज भरहल अछि ।

ुुुु॥


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन