Monday, October 24, 2011

सुख्खायाममे दैनिक १७ सँ १९ घण्टा लोडसेडिङ


७ कार्तिक, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई एखुनक अवस्थामे आगामी सुख्खायाममे दैनिक १७ सँ १९ घण्टा लोडसेडिङ हाएत बतौलनि अछि ।

सुख्खायाममे विद्युत आपूर्ति भारतसँ आयात कएलगेल सहित ३ सय ९० मेगाबाट हाएत आ माँग १ हजार ५० मेगाबाट रहत अनुमान कएलगेल कहैत ओ दैनिक १७ सँ १९ घण्टा लोडसेडिङ हाएत बतौलनि अछि । आगामी खुख्यासाममे बेरियामे ६ सय ५० मेगाबाट आ रातिके समयमे २ सय ५० मेगाबाट कमी हाएतआइ संसदके सम्वोधन करैत भट्टराईले इ कहलनि ।

ओ तत्काले बैकल्पिक व्यवस्था नहि कएल गेल तऽ आगामी वर्षसबमे इ समस्या आरो भयाबह होयबाक चेतावनी देलनि । ५० मेगावाटक मात्र विद्युत आपूर्ति करयके व्यवस्थाके परिर्माजन कऽ २ सय पहुँचाबय भारत सकारात्मक रहल कहैत ओ कुन ठामसँ विद्युत लाओल जाऽ सकैय से अध्ययन करय प्राविधिक समितिके निर्देशन देलगेल जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई भारतसँ २ सय मेगावाट विद्युत जँ लाओल जाए तऽ लोडेसडिङ उलेख्य रुपमे घटाओल जाऽ सकैय बतौलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन