Monday, October 24, 2011

'बिपा सम्झौता देशके आवश्यक नहि छल'


काभ्रे, कार्तिक ७ । एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई भारतसँग केने बिपा सम्झौता राष्ट्रघाती रहल आरोप लगबैत बिपा सम्झौता देशके अखन आवश्यक नहि रहल टिप्पणी कएलनि अछि ।

आइ एमाले जिल्ला कमिटी काभ्रे आयोजना केने शुभकामना आदान प्रदान समारोहमे खनाल सम्झौता बाद नेपालक राष्ट्रियतामे दाग लागय सकत बतौलनि ।

सम्झौता कऽ क माओवादी तहसनहस केने आ उद्योग धन्दाके क्षतिपूर्ति राज्यके देबयके अवस्था वर्तमान सरकार खडा केने ओ दाबी कएलनि  । वर्तमान सरकार अवसरवादीसबहक गठबन्धन रहल ओ खुलासा कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन