Tuesday, December 27, 2011

हत्या कएलगेल सुनार परिवारके १० लाख


काठमाडौ, पुस १२ । सरकार चुल्हा छुने अभियोगमे हत्या भेल कालिकोटके दलित मानवीर सुनारके परिवारके राहत स्वरुप १० लाख देवयके निर्णय केलक अछि ।

मन्त्रिपरिषद्क आजुक बैसल बैसारसँ ओ निर्णय केलक अछि । हत्याराके कारवाही आ पीडित परिवारके राहतके माँग करैत दलित संघ संस्थासब आन्दोलन करैत आएल छल । अगहन २४ गते कालिकोट जुविथा-४ के सुनारके चुल्हा छुने कहैत स्थानीय मानबहादुर शाही आ दिपक शाहीके पिटाइसँ मृत्यु भेल छल । छुवाछुत जेहन जघन्य अपराध करयबला  उपर अभियानके रुपमे कारवाही करयके आ ओइके अनुगमनके लेल प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहत संयन्त्र गठन कएल जाएत सरकार निर्णय लेलक अछि ।

बैसारसँ नेपाल पत्रकार महासंघके केन्द्रीय कार्यालय निर्माणक लेल एक करोड रुपैयाँ देवयके निर्णय केलक अछि । अहिसँ आगु झलनाथ खनाल प्रधानमन्त्री भेल पालामे ओ रकम देवयके घोषणा करितो बजेटमे नहि छुट्याओलगेल छल ।

अहिना स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके सचिव सुधा शर्मा देने राजिनामा सरकार स्विकृत केलक अछि । वरिष्ठ सचिव रहल शर्माके मन्त्री जनसंख्या दिस लऽ गेलाबाद ओ असन्तुष्ट भऽ क राजीनामा देने छलिह । तहिना परराष्ट्र मामिला अध्ययन प्रतिष्ठानक कार्यकारी निर्देशक उषाजंग थापाके राजिनामा सेहो स्विकृत कएलगेल अछि ।

कारागारसबहक आधुनिक व्यवस्थापनके लेल माओवादी सभासद देवी खड्काके अध्यक्षतामे समिति गठन कएलगेल अछि । सरकारक प्रवक्ता उपप्रधान एंव परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठक अनुसार आयल निगमके पेट्रोलियम पदार्थक आपूर्ति सहज बनावय तत्काल डेढ अर्ब रुपैयाँ ऋण देवयके निर्णय समेत भेल अछि । अहिना, शितलहरके कारण मृत्यु भेल परिवारके राहत स्वरुप २५ हजार रुपैयाँ प्रदान करयके मन्त्रिपरिषद निर्णय केलक अछि ।

तहिना,कर्मचारी संचय कोषके प्रशासक रमेश कुमार भट्टराई आ नेपाल रेल्वे कम्पनीके कार्यकारी निर्देशक सुरेशकुमार यादवके अवकाश देलक अछि ।

अहिना मन्त्रिपरिषद विश्व विद्यालय अनुदान आयोगमे ६ गोट सदस्यके नियुक्ति केलक अछि । ओ आयोगमे त्रिभुवन आ पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयके उपकुलपतिसबमे क्रमशः हिराबहादुर महर्जन आ महेश्वर मान श्रेष्ठके नियुक्ति कएलगेल अछि । तहिना उच्च शिक्षा क्षेत्रमे विशिष्ठ योगदान पहुँचौनेसबसँ डा.शिवशरण महर्जन, डा. विद्यानाथ कोइराला, डा महेन्द्र सिंह आ च्रीशोभा ताम्राकारङ्के आयोगमे नियुक्ति कएलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन