Sunday, October 24, 2010

सामुदायिक बिद्यालयके शैक्षिक स्तर सुधारयके लेल आगामी शैक्षिक सत्रस करारमे प्रधानाध्यापक नियुक्तिके तयारी भरहल अछि ।

हालधरि बिद्यालय ब्यबस्थापन समिति आ शिक्षा कार्यालय अपन इच्छा अनुसारक ब्यक्तिके प्रधानाध्यापक बनबैत आबि रहल अछि । शिक्षा मन्त्रालयके उपसचिव डा। लेखनाथ पौडेलके अनुसार आगामी शैक्षिक सत्रस सम्बन्धित सामुदायिक बिद्यालयके ब्यबस्थापन समिति करारमे प्रध्ानाध्यापक नियुक्तिके लेल प्रस्ताव आह्ावान करत ।

समिति आह्ावान केने प्रस्तावके आधारमे बिद्यालयके शैक्षिक तथा प्रशासनिक सुधारके लेल उपयुक्त योजना सहित कार्यक्रम पेस करयबला सामुदायिक बिद्यालयके शिक्षक दु बर्षके लेल करारमे प्रध्ाानाध्यापक नियुक्त हाएत ।

आगामी शैक्षिक सत्रस प्रधानाध्यापकके करारमे नियुक्त करय ब्यबस्थापन समितिस जिल्ला शिक्षा कार्यालयस परामर्श कचुकल शिक्षा मन्त्रालय जनौलक अछि । करारमे प्रधानाध्यापक नियुक्ति करय शिक्षा मन्त्रालय देशभरिके आधारभुत तह सँचालन भेल करिब १० हजार ५ सय बिद्यालयके पत्राचार करत ।

ुुुुुु॥

सवारी दुर्घटनामे परि गँभीर घाइल भेल नेपाल तरुण दल बर्दिया नेउलापुरक पुर्व इकाइ सभापति कृष्ण भण्डारीके इलाजक क्रममे बितलराति मृत्यु भेल अछि ।

काठमाण्डौके शिक्षण अस्पतालमे इलाज करबैत काल भण्डारीके बितलराति मृत्यु भेल अछि । हुनक आइए काठमाण्डौमे अन्त्येष्टि कायल जाएत तरुण दल जनौलक अछि ।

३ दिन आगु बर्दियास मोटरसाइकल चढिक काठमाण्डौ जारहल समयमे भण्डारी दुर्घटनामे पडल छलथि ।

ुुुुु।

हैटीमे हैजा बेमारीके कारण अखनधरि ओतय २ सय स बेसीके मृत्यु भेल अछि । महामारीके रुपमे रहल हैजा हैटीके बिभिन्न शहरसबमे तिब्र गतिस फैलरहल हैटीके सँचारमाध्यमसब जनौलक अछि । बिभिन्न सहायता एजेनसीसबहक कहब अछि जे बिभिन्न ठाममे अस्पताल कायम कायल जा रहल अछि आ स्वच्छ पानिके ब्यब्स्था कायल जारहल अछि । हैटीमे जनवरीमे आएल भयानक बिनाशकारी भुकम्पमे परल लाखौ ब्यक्ति अखन शिबिरमे रहिरहल अछि । जाहिठाम सेहो हैजा फैलबाक शँकाके देखैत हैटी सरकार चिन्तित रहल बताओल गेल अछि ।

ुुुु॥



सिरहाके चौहर्वामे आइ बसक ठक्करस एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

पुर्वस पश्चिम जा रहल ना ३ ख ३१० नम्बरक बस ज १ प २७६० नम्बरक मोटरसाइकलके ठक्कर देलाबाद मोटरसाइकल पर सवार सिरहा इटाटार ४ के राजेन्द्र प्रसाद साहके मृत्यु भेल अछि । ठक्कर देबयबला बस आ चालक पुलिसक नियन्त्रणमे रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अछि ।

ुुुुु

साँघाइ एक्सपोमे सहभागी होवय चिन पहुँचल एकिकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष प्रचण्ड राजनितिक भेटघाटक लेल आइ चिनके बेइजिङ जारहल छथि ।

काल्हि चिनियाँ उच्च अधिकारीसबस राजनितिक भेटघाट हाएत बताओल गेल होइतो कुन स्तरके नेता सहभागी हाएत से नै खुलाओल गेल अछि । राजनितिक भेटघाटक लेल प्रचण्ड नेतृत्वक टोली आइ साँमु बेइजिङ जा रहल छथि ।

बेइजिङ जाएस पहिने माओबादी टोली साँघाइ एक्सपोमे निर्मित अमेरिका फ्रान्स जर्मनी सहितक देशक पेभिलियन भ्रमण करबाक कार्यक्रम रहल अछि । ५ दिना चिन भ्रमणके लेल माओवादी टोली शुक्रके राति साँघाइ पहुँचल छलथि ।

ुुुु

प्ाुर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत मुापाके सुरुङागामे बितलराति भेल सवारी दुर्घटनामे परि २ गोटेके मृत्यु भेल अछि त १ गोटे घाइल भेल अछि ।

सुरुङागाके जामुनबारी स्थित मारुती ग्ााडी आ रिक्सा बिचक ठक्कर भेलास स्थानीय रिक्साचालक राम बहादुर जोगीके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । अहि घटनामे ओहि ठामक कृष्ण बहादुर भुजेल घाइल भेल अछि । भुजेलके बिर्तामोड स्थित कन्काइ अस्पतालमे इलाज भरहल अछि ।

अहिबिच सुरुङगा १ दुर्गापुर स्थित पुर्वपश्चिम राजमार्गमे भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे गँभीर घाइल भेल कृषि बिकास बैँक भद्रपुर शाखाके कार्यालय सहायक कृष्ण पोखरेलके इलाजक क्रममे बितलराति मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

ुुुुु।

आइ सँयुक्त राष्ट्र सँघ दिवस नेपालमे सेहो बिभिन्न कार्यक्रम क मनाओल जारहल अछि । सँयुक्त राष्ट्र सँघक स्थापना सन् १९४५ अक्टोबर २४ तारिखके दिन भेला स आजुक दिनके प्रत्येक बर्ष सँघक स्थावना दिवसके रुपमे मनाओल जाइत अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन