Monday, February 21, 2011

माओवादी आ एमालेबीचक सहमति खतरनाक

९ फागुन, जनकपुर । नेपाल सदभावना पार्टीक कार्यबाहक अध्यक्ष विकास तिवारी कहलन्हि अछि जे, माओवादी आ एमालेबीचक सात सुत्रीय सहमति लोकतनत्र आ मधेश दुनुकेलेल खतरनाक अछि।
जनकपुरमे आई पत्रकारसभसँ बातचित करैत माओवादी आ एमालेबीचक सहमति देशके सर्वसत्तावाद तर्फ लऽ जएबाक षडयन्त्र रहल तिवारी उल्लेख कएलन्हि।सात सुत्रीय सहमतिमे संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रक स्थान पर मात्र संघीय गणतन्त्र उल्लेख करब दुनु दलक पैग षडयन्त्र रहल तिवारी दावा कएलन्हि अछि। एकटा दोसर प्रसङमे मधेशवादी दल सत्तावादी नीतिके कारण कमजोर भऽ रहल अछि हुनकर कहब छलन्हि।
मधेशके अधिकार सम्पन्न नइ होबए धरि मधेशवादी दलके सत्तामे नइ जएबाक वचन लेबक आवश्यक्ता छैक तिवारी बतओलन्हि।मधेशक मुक्तिलेल मधेशवादी दलबीच वैचारिक एकता पर ओ जोड देलन्हि अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन