Monday, February 21, 2011

मातृभाषाक समृद्धिलेल एकटा आओर आन्दोलनक आवश्यकता पर जोड

९ फागुन, जनकपुर । मातृभाषाक समृद्धिलेल एकटा आओर आन्दोलनक आवश्यकता पर जनकपुरक विद्धत वर्ग जोड देलन्हि अछि।
अन्तराष्ट्रीय मातृ भाषा दिवसके अवसर पर जनकपुरमे आई आयोजित मैथिली मातृ भाषा आ भावि संविधान विषयक विचार गोष्ठीमे बजैत वक्तासभ ई बात बतओलन्हि अछि।
भुमिजा मानव अधिकार संघक अगुवाईमे आयोजित कार्यक्रममे भाषाके सुरक्षित करब राज्यक दायित्व छैक हुनकासभक कहब छलन्हि।
मैथिली भाषाके विकासलेल एकरा रोजगारीक भाषाके रुपमे विकास करबा पर वक्तासभ जोड देलन्हि अछि।
भाषा कोनो जाति विशेषके नइ होइत अछि उल्लेख करैत एक दोसरसँ मिल कऽ मैथिली भाषाके संरक्षण करबालेल ओ सभ आग्रह कएलन्हि अछि।
अपन पहिचान आ अस्तित्वकेलेल भाषा महत्वपूर्ण होइत अछि उल्लेख करैत मातृ भाषामे पाठ्य पूस्तकके निर्माण पर ओ सभ जोड देलन्हि अछि।
कार्यक्रममे एकिकृत नेकपा माओवादीक धनुषा जिला ईंचार्ज रोशन जनकपुरी,वरिष्ट पत्रकार राजेश्वर नेपाली,प्राज्ञ रमेश रंजन झा,जनकपुर वृहत्तर क्षेत्र विकास परिषदके अध्यक्ष दिगम्बर राय,पत्रकार रामभरत साह,नेकपा माओवादीक नेता फरमुद नदाफ,सभासद रामसरोज यादव,कृष्णा ठाकुर सहितक व्यक्तिसभ अपन अपन धारणा रखने छलथि।
२१ फरवरी कऽ संयुक्त राष्ट्र संघद्धरा घोषित अंतराष्ट्रीय भाषा दिवसके अवसर पर भुमिजा मानव अधिकार संघक आयोजनमे प्रत्येक वर्ष बिभिन्न कार्यक्रमके आयोजन कऽ मैथिली मातृ भाषा दिवस मनाओल जाति अछि।
मैथिली भाषाक समृद्धी, विकास एवम संरक्षणके उद्देश्यसँ मैथिली मातृ भाषा दिवस मनाओल जा रहल आयोजन समतिक संयोजक एवम भुमिजा मानव अधिकार संघक अध्यक्ष प्राध्यापक विजय दत्त जानकारी देलन्हि अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन