Monday, February 21, 2011

नेतासबके गाउँ-गाँउस खिहारयके चेतावनी

९ फागुन, काठमाडौं । चुरेभावर राष्ट्रिय एकता पार्टी जेठ १४ गते भितरमे नयाँ संविधान नै बनत त नेतासबके गाउँ-गाँउस खिहारयके चेतावनी देलक अछि । थपल समय भितर संविधान निर्माण करयके बदला संविधानसभाके म्याद थपयके षडयन्त्र भरहल कहैत ओ एहन चेतावनी देलक अछि ।
आइ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन कक चुरेभावर जेठ १४ गते संविधान जारी नै हाएत त १५ गतेस राजधानीमे अपन २५ हजार शान्ति सेनाके उतारिकऽ आन्दोलन करब बतोलक अछि । संविधानसभाके म्याद फेउर थप काएल जाएत त देश गृहयूद्धमे जाएत कहैत चुरे भावर जेठ १४ मे संविधान बनय नै सकत त तत्काल ताजा जनादेशमे जाएके माँग सेहो केने अछि ।
पत्रकार सम्मेलनमे पार्टीक अध्यक्ष हिमालयन भक्त प्रधानाङ्ग पार्टी कारवाही केने सभासद केशव मैनालीके सभामुख सुवास नेम्वाङ्ग नै हटोलास असन्तुष्टि जनोलनि । तत्काल कारवाही नै हाएत त सिंहदरवार घेराउ करबाक चेतावनी दैत ओ कहलनि जे-’आब हमसब चुप लागिक नै बैसब । प्रतिकारमे उतरब ।’
पार्टीक वरिष्ठ उपाध्यक्ष एवम् शान्ति सेनाक कमाण्डर बाबु थापा संविधान नै बनाबयबला नेतासबके जेठ १५ गतेबाद गाउँ-गाँउस खिहारयके चेतावनी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन