Saturday, February 19, 2011

प्रजातन्त्र दिबसक अबसरमे म्याराथुन प्रतियोगिता सम्पन्न

फागुन ७ जनकपुर । प्रजातन्त्र दिबसक अबसरमे जनकपुरमे क्रस कन्ट्री म्याराथुन प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अछि ।

खुल्ला आ बिद्यालय स्तरिय २ समुहक भेल ओ म्याराथुन प्रतिष्पर्धामे साढे ९ किलोमिटरक दौडके आयोजना कएल गेल छल । एस एम स्पोर्टस जनकपुरक आयोजनामे भेल ओ म्याराथुन प्रतियोगितामे १ सय ५० गोटे प्रतियोगीके सहभागिता छल ।

जाहि मेस बिद्यालय प्रतिष्पर्धा अन्तर्गत चक्कर माबि ठाडी मिुजाके कक्षा ८ मे अध्ययनरत मनोज मण्डल ३३ मिनेट ५९ सॆकेण्डमे ओ दुरी पुरा क प्रथम स्थान हासिल केलक अछि त जनता माबि गिद्धाके कक्षा ८ मे अध्ययनरत निरन्जन मण्डल ३७ मिनेट २५ सेकेण्डमे दोसर स्थान प्राप्त केलक अछि त प्रगतिशिल माबि हथमुण्डाके कक्षा ८ मे अध्ययनरत मोतिराम महतो ४० मिनेट २० सेकेण्डमे दौड पुरा क तेसर स्थान हासिल केलक अछि ।

अहिना महिला दिसस न्यु ईगलिस बोर्डिङ स्कुलमे कक्षा ६ मे अध्ययनरत तकबिरा प्रबिण प्रथम पुजा ठाकुर दोसर आ कन्या माबिके गँगा आले तेसर स्थान प्राप्त कएलिह अछि ।

तहिना खुल्ला दिसस अनिल सिँह २७ मिनेट ३८ सॆकेण्डमे प्रथम ज्ञान प्रसाद भटराइ २७ मिनेट ४९ सेकेण्डमे दोसर आ लाल बहादुर २८ मिनेट १२ सेकेण्डमे तेसर स्थान प्राप्त कएलनि अछि ।

कार्यक्रमके उदघाटन सशस्त्र धनुषाक एस पी करिराज श्रेष्ठ केने छलथि त राम चन्द्र ठाकुर मन्त्ब्य रखने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन