Saturday, February 19, 2011

माओवादीके गृह नै देबयके निर्णय परिवर्तन नै हाएत - नेपाल


विराटनगर, फागुन ७ - पूर्वप्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल माओवादीके गृह मन्त्रालय नै देबयके निर्णय परिवर्तन नै हाएत बतोलनि अछि ।
'हतियार आ लडाकु रहत त माओवादीके गृह देबय नै मिलत,' आइ विराटनगर विमानस्थलमे संचारकर्मीसँग बातचित करैत नेपालले कहलनि जे, 'अहिस शक्ति असन्तुलन पैदा करत ।'
धनकुटाके पार्टी कार्यक्रमके सम्बोधन करय आइ राजधानीस विराटनगर आएल नेपाल माओवादीके गृह नै देबयके पार्टीके निर्णय कोनो हालतमे परिवर्तन नै हाएत बतोलनि । ओ कहलनि जे, 'माओवादी अहिके मुद्धा बनाकऽ लम्बा करयके कोनो अर्थ नै रहत ।'
सरकार गठनमे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आ माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालबीच भेल सात बुँदे समझदारी त्रुटिपूर्ण रहल बतबैत कांग्रेसके सेहो सरकारमे सहभागी करबयके धारणा रखलनि । 'विश्वासमे लकऽ कांग्रेसके सेहो सरकारमे सहभागी कराब परत', नेपाल कहलनि ।
सरकारके जल्दीस पूर्ण बनाकऽ संविधान निर्माणमे जुटय आग्रह करैत पूर्वप्रधानमन्त्री नेपाल कहलनि जे, 'सरकार गठन करय अबेर हाएत त थप समस्या श्रृजना हाएत ।'

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन