Sunday, February 27, 2011

देशभरिके उद्योगके ब्यारेक बनाबयके प्रचण्डक चेतावनी

काठमाडौं, फागुन १५ । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड देशभरिके उद्योग कलकारखाना आ होटलसबके ब्यारेकमे परिणत करबाक चेतावनी देलनि अछि ।
सम्पूर्ण शक्ति आ सामर्थ्यके सँग जनविद्रोहके अन्तिम तयारी करय मजदुर कार्यकर्ताके निर्देशन दैत प्रचण्ड देशभरिके उद्योग कलकारखाना आ होटलसबके ब्यारेकमे परिणत करबाक चेतावनी देलनि ।
आइ ललितपुरमे अखिल नेपाल ट्रेड युनियन महासंघ स्वयम सेवक विभाग अन्तर्गत मजदुर स्वयंम सेवक दलके राष्ट्रिय भेलाके सम्बोधन करैत अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति आ संविधान निर्माण तथा परिवर्तनके प्रवाहके रोकय चाहत त माओवादी विद्रोह करत बतौलनि ।
माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड मजदुरके हातमे सत्ता नै आबयधरि पार्टी आ शहिदसबहक लक्ष्य पूरा होबय नै सकत सेहो बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन