Sunday, February 27, 2011

सदभावना पार्टीके कार्यकर्ता अपहरित

महोत्तरीके सोनमा गाविसस सदभावना पार्टीक एक कार्यकर्ता अपहरणमे परल अछि । सोनमा गाविस ३ के ३५ वर्षक फकिर अन्सारीके नकावधारी अज्ञात समूह आइ भिन्सर अपहरण केलक अछि ।महोत्तरी, फागुन १५ ।
महोत्तरीके सोनमा गाविसस सदभावना पार्टीक एक कार्यकर्ता अपहरणमे परल अछि । सोनमा गाविस ३ के ३५ वर्षक फकिर अन्सारीके नकावधारी अज्ञात समूह आइ भिन्सर अपहरण केलक अछि । अन्सारी सदभावना पार्टीके गाउँस्तरीय कार्यकर्ता छथि ।
अपहरणकारीके खोजी भरहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि । मानवअधिकार, पत्रकार, पुलिस प्रशासन तथा सब पक्षस सकुशल रिहाईके पहल क देबाक लेल परिवारजन आग्रह केलक अछि ।
एम्हर, अपहरणके आरोपमे गौशाला ७ के इजलास नदाफके पुलिस गिरफतार केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन