Sunday, February 27, 2011

डिजलक आभावमे रेल सेवा बन्द

जनकपुर , फागुन १५ । डिजलक अभाबमे देशक एक मात्र रेल जनकपुर- जयनगर रेल सेबा बन्द भेल अछि।
रेल सेबा बन्द भेलास मध्य तथा पुर्बि धनुषा बासिसभ दु:ख भोगए बाध्य भेल अछि । २ सप्ताह एम्हरसँ रेल सेबा तेसर बेर बन्द भेल अछि। ४ महिनासँ तलब , भत्ता नई पौअने रेलक कर्मचारीसभ फागुनके पहिल सप्ताहमे ४ दिन रेल सेबा बन्द भेल छल तऽ एखन डिजल अभाबक कारणे रेल सेबा बन्द भेल अछि।
रेलके दैनिक आम्दानि बैंकमे जम्मा होइत अएलाक बादो चेक काटयलेल आधिकारिक व्यक्ति नइ रहलासँ डिजलके आभाव भेल अछि। तहिना निमित्त महाप्रवन्धक तथा लेखाअधिकृत रामेश्वर यादव विदामे छथि। रेलकर्मी नन्दकुमार रायक अनुसार -विभिन्न आयल स्टोर्ससँ उधारे लेने डिजलके दश लाख भुक्तानी देबाक बाँकी रहल अछि। पछिला बेर बजरंग आयलसँ लेने डिजल वापत १ लाख ३० हजार सेहो उधारे अछि । आब कोनो आयल स्टोर्स उधार देबए नइ मानलाक कारण रेल सेवा बन्द करए परल ओ बतओलन्हि अछि।
एहिविच, बिना सूचना देने रेल सेवा बन्द केलासँ आम जनता आक्रोशित बनल अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन