Sunday, March 13, 2011

फोरम आ तमलोपा नेपाल सरकारमे नै जाएत

२९ फागुन, काठमाडौं । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपाल आ तमपोला नेपाल तत्काल सरकारमे नै जायबला अछि । तमलोपा नेपालक अध्यक्ष महेन्द्र यादव, फोरम नेपालक महासचिव रामसहाय यादव सहितक मधेसवादी दलसब एखुनक सरकारमे कोनो हालतमे सहभागी नै हाएब बतौलक अछि ।
आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे तमलोपा नेपालक अध्यक्ष महेन्द्र यादव, अपन पार्टी सरकारमे सहभागी नै हाएत स्पष्ट कएलनि । मधेसवादी दलसब सरकारमे जाएके बात सरकारक दिवास्वप्न मात्रे हाएत कहैत ओ कहलनि ’ प्रधानमन्त्रीक नेतृत्वमे मधेसवादी कोनो हालतमे सरकारमे नै जाएत ।’
ओ मधेसवादी दलसब सरकारमे जाएस बेसी मधेसी मोर्चाके मजबुत बना क आगु बढ्यके योजनमे रहल स्पष्ट कएलनि । जेठ १४ गतेभितरमे नयाँ संविधान नै बनत त ताजा जनादेशके लेल निर्वाचनमे जाए परत कहैत ओ ओना होबय नै सकत त मधेसमे विद्रोह करब बतौलनि ।
फोरम नेपालक महासचिव यादव एक मधेस प्रदेशसहित मधेससँग भेल सम्झौतामे लिखित प्रतिबद्धता नै आबएधरि फोरम सरकारमे नै जाएत स्पष्ट कएलनि ।
कार्यक्रममे सदभावना पार्टीक सहअध्यक्ष कर्ण जेठ १४ गतेधरिमे संविधान जारी नै हाएत त मधेसवादी दलसब संविधानसभामे नै रहत दावी कएलनि । ओ समग्र मधेसके एक प्रदेशके रुपमे नै स्विकारय धरि अपनेसब जारी भेल संविधान नै मानब स्पष्ट कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन