Wednesday, March 16, 2011

पूर्वमन्त्रीसँग गाडी फिर्ता मँगला प 'त्रिशूलीमे फेक देबयके' धम्की

काठमाडौं, चैत्र २ । एक पूर्वमन्त्री अपन पदमे रहैत समय चढने प्राडो गाडी फिर्ता करय परत त ओ गाडीएके त्रिशूलीमे फेक देबयके धम्की देलक अछि । पदस बहराएल ७ दिनभितरेमे सरकारी सुविधा छोडय परैत अछि मुदा पूर्ववाणिज्य राज्यमन्त्री सरोज यादव सत्तास बहराएल एक महिना बितलाक बादो गाडी फिर्ता माँगय गेल वाणिज्य मन्त्रालयके कर्मचारीके एहन धम्की देलनि अछि ।
वाणिज्य मन्त्रालय एक महिनास हुनकास लिखित आ मौखिक रूपमे बेर बेर गाडी फिर्ता मँगैत आएल अछि । अहिना, पूर्वभौतिक योजना तथा निर्माण राज्यमन्त्री सञ्जय साह सेहो गाडी देबय अस्वीकार केने स्रोतक कहब अछि । मन्त्रालय बल प्रयोग कयोयो क हाएत त साहस गाडी फिर्ता क देबाक लेल गृह मन्त्रालय मार्फत पुलिससँ लिखित अनुरोध केलक अछि ।
तहिना, पुर्वभौतिक योजनामन्त्री विजयकुमार गच्छदार ललितपुरक पुल्चोकस्थित सरकारी निवास नै छोडने छथि त पूर्वप्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल सेहो अपने प्रधानमन्त्री रहैत समय चढैत आएल टोयोटा प्राडो गाडी फिर्ता नै केने छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन