Wednesday, March 16, 2011

तीन मधेसी दलक अध्यक्ष एकेबेर भारत जा रहल

काठमाडौं, २ चैत्र । तीन मधेसी दलक शीर्ष नेता आइ बेरियामे एकेबेर भारतक नयाँदिल्ली जा रहल छथि ।
पूर्वप्रधानमन्त्री सूर्यबहादुर थापाके घुरिते मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार, तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर आ सदभावनाक अध्यक्ष राजेन्द्र महतो नयाँदिल्ली जाए लागल छथि ।
ओसब बेरियामे तीन बजे इन्डियन एयरलाइन्सके विमानस नयाँदिल्ली जेताह बताओलगेल अछि । भ्रमणके क्रममे भारतीय प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंह, कांग्रेसक आईके अध्यक्ष सोनिया गान्धी, विदेशमन्त्री एसएम कृष्णा सहितक शीर्ष नेतासबसँग राजनीतिक भेटवार्ता करबाक कार्यक्रम तय भेल अछि । भेटमे नेपालक वर्तमान सत्ता गठबन्धन आ मधेसी दलक भूमिकाबारे बिमर्श होयबाक सद्भावना अध्यक्ष महतो जानकारी देलनि अछि ।
‘शान्ति, संविधान आ मधेसक मुद्दामा बिमर्श हाएत,’ अध्यक्ष महतो बतौलनि । भेटवार्ता लम्बा नै भेल त याह रबिदिन स्वदेश घुरब महतो जानकारी देलनि ।
भेटवार्तामे एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेकपा एमाले गठबन्धनके वर्तमान सरकारविरुद्ध लोकतान्त्रिक मोर्चा बनाबयके बिषयमे बिमर्श केन्दि्रत हाएत स्रोतक कहब अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन