Wednesday, March 16, 2011

रिएक्टरमें फेउर लागल आगि प काबू


एजेन्सी, चैत २ । जापानमें भूकंप आ सुनामी स तबाह भेल परमाणु संयंत्रमें आइ भिन्सर लागल आगि प नियन्त्रण भ चुकल अछि ।
जापानके फुकुशिमा दायची संयंत्रके ओइ रिएक्टरमें आगि लागल छल जतय प्रयोग भ गेल ईंधन राखल जाइत अछि । संयंत्रके रिएक्टर नंबर 4 में आगि लागल छल ।
अइ परमाणु संयंत्रमें पहिनहु ४ बेर विस्फोट भेल छल जाहिके बादस विकिरण फैल रहल अछि आ स्वास्थ्यके लेल भारी खतरा पैदा भ गेल अछि ।
जापानके उत्तर पूर्वमें शुक्रदिन आएल भीषण भूकंप आ सूनामीके बाद अखनधरि 3000 गोटेके मृत्यु भेल पुष्टि भ चुकल अछि आ हज़ारों गोटे लापता अछि ।
भूकंपके कारण परमाणु संयंत्रके कूलिंग प्रणाली खराब भ गेल अछि । जाहिस संयंत्रके रिएक्टरमें या त आगि लागि रहल अछि या विस्फोट भ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन