Tuesday, March 22, 2011

टाइगरटप्स गोलीकाण्ड मुद्दाके पेशी घुसकल


चितवन, चैत ८ । टाइगरटप्स गोलीकाण्डके मुद्दाके पेशी वैशाख १४ गते घुसकल अछि । गोलीकाण्डमे फँसल पूर्वयुवराज पारस शाह आ बंगलादेशी नागरिक रुबेल चौधरीसँग आइ बयान लेलाबाद प्रमुख जिल्ला अधिकारी बसन्तराज गौतम मुद्दाके दोसर पेशी तोकने छथि ।
पूर्वयुवराज पारस चौधरीके चितवनके मेघौलीस्थित टाईगरटप्स होटलमे बितल अगहन २५ गते गोली चलौने आ सार्बजनिक स्थलमे हो हल्ला केने अभियोगमे जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे सार्बजनिक अपराध ऐन अन्तर्गतके मुद्दा चलिरहल अछि ।
पूर्वयुवराज पारस दलबलके साथ जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँचल छलथि ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालय बाहर जम्मा भेल पारसके समर्थकसब ‘राजा आउ देश बचाउ’, ‘रुबेलके फाँसी दे,’ जेहन नारा लगौने छल ।
अहिबीच, टाईगरटप्स गोलीकाण्डमे फँसल बंगलादेशी नागरिक रुवेल चौधरी जिल्ला प्रसासन कार्यालय चितवनमे आइ बयान बदललनि अछि । भिन्सर साढे १० बजे दलबलके साथमे प्रशासन कार्यालय पहुँचल चौधरी चितवनके प्रमुख जिल्ला अधिकारी बसन्तराज गौतम समक्ष बयान दैत अपना उपर गोली चलाबयबलाके चिनह नै सकने बयान देने छलथि ।
‘पारसके हातमे बन्दुक त छल मुदा हमरा उपर गोली के चलौलक बुझय नै सकलौ,’ घटनाक मुख्य साक्षीके रुपमे वादीके दिसस बयान दैत चौधरी बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन