Tuesday, March 22, 2011

त्रिपोली आ पूर्वी लीबिया प हमला जारी


एजेन्सी, चैत ८ । हवाई हमलाके तेसर राति बहुत गोटेके मृत्यु भेल लीबिया सरकार जनौलक अछि । लीबिया प 'नो-फ़्लाई ज़ोन' लागू क रहल गठबंधनके सेना त्रिपोली प मिसाइल आ हवाई जहाज़स हमला केलक अछि ।
त्रिपोलीमें कर्नल गद्दाफ़ीके दिसस सेहो बिष्फोट आ विमानभेदी गोलीबारी काएल गेल अछि ।
लीबियामें सरकारक प्रवक्ता सिर्ते हवाई अड्डा पर भेल हमलामें कतेकौ गोटेके मृत्यु भेल जानकारी देलनि अछि ।
सरकारक युद्धविरामके घोषणाके बावजूद गद्दाफ़ी समर्थक सेना आ विद्रोही बीचक सँघर्ष जारी अछि । लीबियाके पूर्वमें गद्दाफ़ीके सेना विद्रोहीकेको एक बेर फेउर अजदाबिया शहरस बाहर जाए मजबुर क देलक अछि ।
त्रिपोलीस 200 किलोमीटर पूर्वमें स्थित मिस्राता शहरमें भीषण लड़ाई जारी अछि । ओइठामक विद्रोहीके कहब अछि जे बितल ४ दिनस गद्दाफ़ी सर्मथक सेना ओकरासब उपर हवाई हमला क रहल अछि ।
चिलीके भ्रमणमे गेल ओबामा कहलनि जे अमेरीका लीबियामें एक सहयोगीके भूमिका निभाओत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन