Tuesday, March 22, 2011

भूमिहिनद्वारा मालपोत कार्यालय घेराउ

इनरुवा(सुनसरी), चैत्त ८ । सुनसरीक सदरमुकाम इनरुवा नगरपालिका ३ स्थित मालपोत कार्यालयमे जिल्लाक विभिन्न जगह सँ आएल भूमिहिनसभ आइ धेराउ कऽ धरना देलक अछि ।
भूमि अधिकार मञ्च सुनसरीक अगुवाईमे ग्रामीण क्षेत्र सँ आएल ५ सय स वेसी भूमिहिन सुकुम्बासीसभ भूमि अधिकार सँ बञ्चीत सभकेँ राज्यके जमिन उपलव्ध करावय परत, हलिया मजदुरसभकेँ जमिन धनी प्रमाणपत्र देवय परत, महिला पूरुष दुनुकेँ हक जमिनमे स्थापित होवय परत सहितक मांग राखि ओसभ मालपोत कार्यालयमे धरना देलक अछि ।
मालपोत कार्यालयमे भिन्सर १० बजे सँ ओसभ गेटमे तालावन्दी कऽ व्यानर लगबैत प्ले कार्ड लऽ प्रदर्शन कएने छल । अपनासभकेँ मांगकेँ सुनुवाइ नहि कएलगेल तऽ कडा आन्दोलन करव मञ्चक सुनसरी अध्यक्ष मनोज घोतराज जानकारी देलन्हि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन