Monday, March 28, 2011

सकारात्मक भूमिका निर्बाह करय सन्चारकर्मीसभ सँ राष्ट्रपतिक आग्रह


काठमाण्डौ, चैत १४ । राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव समयमे नयाँ संविधान जारी करय सकारात्मक भूमिका निर्बाहके लेल सन्चार माध्यमसभसँ आग्रह कएलनि अछि ।
फ्रिडम फोरम नेपालके राष्ट्रिय सम्मेलनके आइ भिन्सर काठमाडौंमे उदघाटन करैत राष्ट्रपति यादव जेठ १४ भितरे शान्तिप्रक्रिया आ नयाँ संविधान जारी करयके वातावरणके लेल राजनीतिक दलसबके दवाव देबय सब पक्षसँ आग्रह कएलनि । दलसभबीचक बेमेलसँ नयाँ संविधान समयमे जारी हाएतमे शंका बढल हुनक कहब छलनि ।
नागरिकके सूचना भेटयके हकके सहज बनाबय ओ सब सन्चारकर्मीके सुझाव देलनि । सब नागरिक राज्यद्वारा निर्देशित सूचना विना अवरोध पाबय उपर हुनक जोड छलनि ।
कार्यक्रममे उपप्रधान तथा सन्चारमन्त्री कृष्णबहादुर महरा अन्तरिम संविधानमे उल्लेख भेल सूचनाके हक सम्बन्धी ऐन कार्यान्वयन करयके प्रतिबद्धता जनौलनि ।
सम्मेलनमे दक्षिण एसियाके विभिन्न आठ देशक प्रतिनिधि सहभागी अछि । सम्मेलनके सहभागिसभ सूचनाके हकमे नागरिकके सहज पहुँच सम्बन्धि कार्यपत्र प्रस्तुत करत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन