Friday, March 18, 2011

सुरक्षा परिषद देलक 'कार्रवाहीके मंज़ूरी, बेनग़ाज़ीमें जश्न


लिबिया, चैत ४ । लिबियामे रहल नागरिक आ नागरिक क्षेत्रके कर्नल गद्दाफ़ीके फ़ौजके हमलास बचाबय लेल सदस्य देशसबके आबश्यक सम्पुर्ण क़दम उठाबय लेल संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद लीबिया प एक प्रस्ताव पारित करैत अनुमति द देलक अछि ।
अईके बाद अमरीकाक राष्ट्रपति बराक ओबामा ब्रिटेन आ फ़्रांसके नेताके फ़ोनस बातचीत केलनि अछि । प्राप्त जानकारी अनुसार सुरक्षा परिषदके प्रस्तावके लागू करयके बिषयमे ओबामा अइ देशके नेतासबस चर्चा कएलनि अछि ।
अइ प्रस्तावके अनुसार लीबिया 'नो फ़्लाई ज़ोन' हाएत आ ओतय राहत सामग्री ल जाए बला विमानके छोड़ि क अन्य कोनो विमानके उडा़न भरयके इजाज़त नहि देल जाएत मुदा प्रस्तावमें विदेशी थल सेनाके खटाबय सकयके बात अछि ।
इ प्रस्ताव ब्रिटेन, फ़्रांस आ लेबनान रखने छल आ अइके पक्षमें दस देश भोट देने छल जकर विरोध कोनो देश नहि केलक । संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदके पाँच स्थायी सदस्य मेंस रूस आ चीन २ टा देश मतदानमें हिस्सा नहि लेलक आ भोट सेहो नहि देलक ।
भारत, जर्मनी आ ब्राज़ील सेहो मतदानमें भाग नहि लेलक । अइ देशसबहक कहब अछि जे एहन सैन्य कार्रवाहीस अंतत: लीबियाके आम नागरिकके मदद करयके बदला नोक्सान पहुँचाओत ।
प्रस्ताव पारित भेलाबाद बेनग़ाज़ीमें लोगसब जश्न मना रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन