Tuesday, November 15, 2011

शान्ति प्रक्रियाके कियो भाँडय नहि सकतः खनाल


काठमाडौ, कार्तिक २९ पूर्व प्रधानमन्त्री  एंव एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल शान्ति प्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचाबयके काजके आब कियो भाँडय नहि सकत बतौलनि अछि । ओ शान्ति प्रक्रिया जल्दिए पुरा हाएत विश्वास व्यक्त कएलनि

धनकुटाक छिन्ताङ जाएके क्रममे आइ चुङमाङम एक कार्यक्रममे बजैत खनाल पछिला बेर  प्रमुख राजनीतिक दलबीच भेल सहमतिसँ शान्ति प्रक्रिया पुरा होबयके आशा बढल बतौलनि

संक्रमणकालक अवस्थाक अन्त्य होबयके समय आएल कहैत ओ शान्ति संविधानक बाद देशमे आर्थिक क्रान्तिक पालो आओत बतौलनि समृद्ध नेपालक आशा जागल कहैत देश गरीब नहि रहल एकरा गरिब बनाओल गेल उल्लेख करैत उपलब्ध साधन स्रोतक प्रयोग पर्यटन क्षेत्रक विकाससँ देशके समृद्ध बनाबयके जानकारी देलनि

सब जाति जातिक भावना समेट कऽ सबके सम्मान होबय जका संविधान निर्माण कएल जाएत हुनक कहब छलनि

२०३६ सालम वाम विचार रहल कहैत तात्कालि सरकार छिन्ताङक स्थानीय १५ गोटेके हत्या केने छल घटनाक यादमे मनाओल जाएबला ३२ हम् छिन्ताङ स्मृति दिवसम सहभागी होबय  खनाल ओतय पहुँचल छथि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन