Friday, March 18, 2011

पत्रकारिता आग्रह-पूर्वाग्रहस मुक्त नै अछि: प्रधानमन्त्री


काठमाडौं, चैत ४ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल नेपाली पत्रकारिता अखनो मनोगत आग्रह-पूर्वाग्रहस मुक्त होबय नै सकल बतौलनि अछि ।
आइ प्रेस काउन्सिलक ३५ हम् वाषिर्क प्रतिवेदन लोकार्पण तथा पुरस्कार वितरण कार्यक्रमके सम्वोधन करैत प्रधानमन्त्री खनाल कहलनि जे ‘अखन देशके पत्रकारिताके आरो बेसी जनउत्तरदायी, तथ्यपरक आ स्तरीय भेनाई आवश्यक अछि । मनोगत आग्रह-पूर्वाग्रह, तथ्यसबहक तोरमरोड, विभिन्न व्यक्ति आ समूहक अनुचित आ दाउपेचयुक्त चलखेलमे मिडियाके दुरुपयोग जेहन समस्या नेपाली प्रेसमे विद्यमान रहल स्थिति अछि ।’
राष्ट्रिय स्वार्थके रक्षा, सामाजिक उत्तरदायित्वके बहन आ आम नागरिकके बलिदानीपूर्ण संघर्षस प्राप्त उपलब्धिसबहक संस्थागत बिकास करयके राष्ट्रिय लक्ष्य पूरा करय समेत नेपाली प्रेसके आरो बेसी जिम्मेवार होबय परत हुनक कहब छलनि ।
मिडियाके विकासक लेल सरकार ठोस नयाँ कार्यक्रम लाओत कहैत प्रधानमन्त्री खनाल व्यवसायिक पत्रकारिताके विकाससँगै सम्पादकसबहक योग्यता तथा मापदण्ड तोकयके समय आएल बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन