Friday, March 18, 2011

मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ जनकपुर आएल

जनकपुर, चैत ४ । फागुन २० गतेसँ शुरू भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ जनकपुर आएल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक अमाबस्या तिथिसँ प्रारम्भ भेल ई माध्यमिक परिक्रमा जनकपुरक हनुमान गढीमे एकत्रित भेल बिभिन्न मठ मन्दिर तथा कुटीसँ निकलल राम जानकीक डोलासभ भारत नेपालक बिभिन्न भागक परिक्रमा करैत आइ जनकपुरक बारह बिग्हा स्थित झुला घरमे आएल अछि ।
आइ रातिमे ओइठाम बिश्राम केलाबाद परिक्रमा काँल्हि भिन्सरमे जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा करैत परिक्रमाके समापन कएल जाएत ।
अहि परिक्रमामे नेपाल भारतक दुर दुरसँ साधु सन्त तथा श्रद्बालु भक्तजनसभहक पैंग सँख्यामे आएल अछि । ठाम ठाममे बिभिन्न क्लब सभ निशुल्क चुरा मिठाके ब्यबस्था सेहो कएने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन