Sunday, March 20, 2011

एसएलसी परीक्षाक तयारी पूरा

भक्तपुर, चैत ६ । चैत १० गतेस सुरु होबयबला एसएलसी परीक्षाक सम्पूर्ण तयारी पूरा भ गेल अछि । परीक्षा सञ्चालन करय आवश्यक सब तयारी पूरा भ गेल परीक्षा नियन्त्रक सूर्य गौतम बतौलनि अछि ।
परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय सानोठिमी भक्तपुरक अनुसार अहिबेरक परीक्षामे देशभरिमे पाँच लाख पाँच गोटे परीक्षार्थी सहभागी भ रहल अछि । परीक्षा सञ्चालनके लेल देशभरिमे एक हजार ६७५ टा परीक्षा केन्द्र तोकलगेल गेल अछि । परीक्षाके मर्यादित बनाबय एक हजार ६७५ गोटे केन्द्राध्यक्ष नियुक्ति क चुकल आ २५ परीक्षार्थी बराबर एक गोटे परीक्षा निरीक्षक समेत तोकलगेल अछि । अहिबेर नेपालेमे जनक शिक्षा सामग्री केन्द्रमे प्रश्नपत्र छापि कऽ जिल्ला-जिल्लामे पहुँचाओलगेल परीक्षा नियन्त्रक गौतम जानकारी देलनि ।
अहिबेरक परीक्षामे सब स बेसी काठमाडौँमे ३२ हजार ८३ गोटे आ सब स कम मुस्ताङमे ९० गोटे परीक्षार्थी रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन