Sunday, March 20, 2011

मधेशी दलक नेता आ सशस्त्र समूहवीच दिल्लीमे बार्ता

काठमाण्डू, चैत ६ । राजनीतिक परामर्शकलेल भारत पहुँचल तीन मधेशवादी दलक अध्यक्षसभ तराईकेँ सशस्त्र संगठनसभसँ बार्ता कएलक अछि । सरकार सँ वाहर होइते मधेश केन्द्रीत आन्दोलन करयकेँ धम्की देने मधेशवादी दलसभ नयाँ संविधानमे मधेशक मुद्दा सम्वोधन नहि होवय सकल तऽ कोना आगु वढल जाय ताहि सम्वन्धमे बिमर्श भेल बताओल गेल अछि ।
म्धेशी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिककेँ अध्यक्ष विजयकुमार गच्छेदार, तराई मधेश लोकतान्त्रिककेँ अध्यक्ष महन्थ ठाकुर आ सदभावना अध्यक्ष राजेन्द्र महतो नयाँ दिल्लीमे काल्हि तराईकेँ तीनटा सशस्त्र संगठननक प्रतिनिधिसभ सँ बार्ता कएलक अछि । वार्तामे अखिल तराई मुक्ति मोर्चाक जयकृष्ण गोइत, जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चाक ज्वाला सिंह (नागेन्द्र पासमान) आ मधेश मुक्ति टाइगर्सक जगदीश अधिकारी सहभागि छलथि ।
स्रोतक अनुसार भेटवार्तामे जेठ १४ गते भितर नयाँ संविधान जारी होवय नहि सकल आ एक मधेश प्रदेशकेँ मुद्दा नयाँ संविधानमे नहि समेटल गेल तऽ कोना क आगु वढव ताहि विषयमे बिमर्श भेल छल । नेपाल भितरे सेहेा वार्ताकेँ जारी राखय हुनका सभवीच सहमति भेल स्रोत जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन