Friday, March 11, 2011

मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ कंचनबनमे

जनकपुर, फागुन २७ । फागुन २० गतेसँ शुरू भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ कंचनबन पहुँचल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक अमाबस्या तिथिसँ प्रारम्भ भेल ई माध्यमिक परिक्रमाके शुरूवात श्री मिथिला बिहारी जीके डोला कचुरीसँ प्रस्थान कऽ जनकपुर आनि कऽ शुरू कएलगेल छल । जनकपुरक हनुमान गढीमे एकत्रित भेल बिभिन्न मठ मन्दिर तथा कुटीसँ निकलल राम जानकीक डोलासभ भारतक कल्णा, फुलहर, मटिहानी, जलेश्वर, मडैई, ध्रुबकुण्ड होइत आइ हरिणमरि स्थित कंचनबन पहुँचल अछि। जाहीठामसँ बिधिबत रूपमे रामजी खेल्ने रङ, अबिरक कारण होलीक बिधिबत रुपमे शुरूवात भेल मानल जाइत अछि आ आजुके दिन कँचनबनमे रङ अबिर लगाक परिक्रमाबासीसब होलिके शुरुवात करत ।
आइ रातिमे ओइठाम बिश्राम केलाबाद परिक्रमा फेउर काँल्हि पर्वताके लेल प्रस्थान करत । तहिना २९ गते धनुषाधाम , ३० गते सतोषरमे डोलाके परिक्रमा करबैत बिश्राम कराओल जाएत । अहिना, चैत १ गते औरही, २ गते करूणा, ३ गते फेउर कल्णा होइत बिसौलमे बिश्राम करत । ओकरबाद ४ गते जनकपुर पहुचलाक बाद ५ गते भिन्सरमे जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा कऽ परिक्रमाके समापन कएल जाएत।
अहि परिक्रमामे नेपाल भारतक दुर दुरसँ आएल साधु सन्त तथा श्रद्बालु भक्तजनसभहक पैंग सँख्यामे सहभागीता रहैत अछि तऽ ठाम ठाममे बिभिन्न क्लब सभ निशुल्क भोजन तथा आबासके ब्यबस्था सेहो कएने अछि । बिश्राम स्थल प मेला सेहो लगैत अछि जतय दुर दुरस गामक लोकसब मेला देखय अबैत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन