Friday, March 11, 2011

अफ़्रीकी संघ सैन्य हस्तक्षेपके बिरुध्द


एजेन्सी, फागुन २७ । कर्नल गद्दाफ़ीके सैनिक लीबियामें विद्रोहिके बिरुध्द कतेकौ ठाममे जीत हासिल कएलक अछि ।
अफ़्रीकी संघमें शांति आ सुरक्षा सम्बन्धि आयुक्त कहलनि जे सैन्य कार्रवाहीके बजाए दुनु पक्ष बीच बातचीतक माहौल तैयार करयके कोशिश करके चाहि । अफ़्रीकी देशके दिसस आओर ठोस क़दमके ज़रूरत रहल हुनक कहब छलनि ।
ओम्हर त्रिपोलीके ज़ावियामे कतेकौ दिनस भेल बमबारीके बाद ज़ाविया गद्दाफ़ीके नियंत्रणमें चलि गेल अछि आ विद्रोही रास लानुफ़स सेहो भागय मजबुर भगेल अछि ।
रिपोर्टके अनुसार ट्रक आ कारमें सवार हज़ारों विद्रोही पूर्वदिस भागिरहल अछि आ अहिमे गद्दाफ़ीके सैनिकके बडका सफलता भेटल बताओल जा रहल अछि ।
स्थितिके देखैत अमरीकाके सबस वरिष्ठ ख़ुफ़िया अधिकारी लीबियामें विद्रोहीके जीतनाइ मुश्किल हाएत बतौलक अछि ।
राष्ट्रपति बराक ओबामाके ख़ुफ़िया सलाहकार जनरल जेम्स क्लैपर कहलनि जे अन्तमे कर्नल मुअम्मार ग़द्दाफ़ीए जीतत कियाक त हुनका लग सैनिक निक स प्रशिक्षित अछि आ हुनका आधुनिक हथियार अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन